Vimarsh

Vimarsh

Share

विमर्श एकटा वैचारिक उपक्रम अछि, मिथिला-मैथिलीक विविध आयामक। भाषा, संस्कृति, लोक आ समाजक।

विमर्श एकटा वैचारिक उपक्रम अछि, मिथिला-मैथिलीक विविध आयामक। भाषा, संस्कृति, लोक आ समाजक। समृद्ध मिथिलाक परिकल्पना मे एक दीप चेतनाक।

25/01/2026

घनश्याम मिश्र जी सांस्कृतिक आ सामाजिक चेतना सँ संपृक्त एकगोट बहुमुखी प्रतिभा संपन्न युवक छथि। जनकपुर परिसरक विविध सांस्कृतिक उत्सव आ आयोजन मे अपन भूमिका आ सक्रिय सहभागिता सँ बेस प्रशंसित होइत रहलाह अछि। पत्रकारिताक संगहि विगत किछु बरख सँ एकटा कुशल उद्घोषक केर भूमिका मे स्थापित घनश्याम जीक लोकप्रियताक केंद्र मे हिनक बाँसुरिक सम्मोहन सेहो छनि।घनश्याम जीक जन्मदिवस पर हुनक उज्ज्वल भविष्यक हेतु उत्तरोत्तर प्रगतिक शुभकामना।

08/01/2026

कुमार भास्कर एकाधिक प्रतिभा सँ सम्पन्न युवा छथि। सिनेमाक निर्देशन, लेखन, सांगठनिक कुशलताक संगहि एकटा 'इवेंट मैनेजमेंट' संस्थानक कर्ता-धर्ता सेहो छथि। सामाजिक आ सांस्कृतिक चेतना सँ सम्पन्न कुमार भास्कर जी 'संवाद फाउंडेशन'क माध्यम सँ समय-समय पर महत्वपूर्ण आयोजन सभ सेहो करैत रहैत छथि। आइ भास्कर जीक जन्मदिवस पर हुनक उत्तरोत्तर प्रगतिक कामना करैत छी ।

13/12/2025

मैथिली मंचक सुप्रसिद्ध उद्घोषक, सहर्ष मिथिलाक सम्पादक आ मैथिली सिनेमाक इतिहासक लेखक किसलय कृष्ण मिथिला-मैथिलीक परिधि मे एकटा चर्चित नाम अछि। मैथिली सिनेमा, संगीत आ साहित्य सँ सम्बद्ध जानकारी सभक श्रोत-समुच्चय, मैथिलीक मंच सँ मचान धरि सदति सक्रिय आ समर्पित एहि व्यक्तित्व केँ हुनक जन्मदिवस पर आत्मीय शुभकामना।

30/11/2025

निपुण संचारकर्मी, मंचिए उद्घोषणाक एकटा जगजिआर नाम, अपन भाषा-संस्कृतिक प्रति समर्पित, बहुमुखी प्रतिभा सँ संपन्न 'रिंकू गायत्री मिश्र' जी केँ जन्मदिनक हार्दिक शुभकामना।

Photos from Vimarsh's post 28/10/2025

अपन जीवन, चिंतन, अचार-विचार आ व्यवहार मे सदिखन मैथिलीक साहित्यिक, सामाजिक आ सांस्कृतिक अनुशीलन केँ आत्मसात कएनिहार, मिथिलाक माटि-पानि आ ग्राम्य जीवनक विशिष्टता केँ अपन सृजनकर्म सँ रेखांकित कएनिहार, मिथिलाक विधि-व्यवहार, लोक-वेद, पाबनि-तिहार आदिक लोकसंदर्भित व्याख्याक वरेण्य, त्रिभुवन विश्वविद्यालयक मैथिलीक केंद्रीय विभागक पूर्व-विभागाध्यक्ष, मैथिलीक बहुविधावादी वरिष्ठ साहित्यकार परमेश्वर कापड़ि सर केँ हुनक जन्मदिवस पर आत्मीय मङ्गलकामना।

29/09/2025

जखन-जखन मैथिली रंगमंचक परिचर्चा होइत अछि, एकटा नाम विशिष्ट आदरक संग सोझाँ अबैत अछि। एहि विशिष्टताक भूमिका मे अछि एकटा दीर्घ संघर्ष आ कलाक प्रति उत्कट सिनेह आ समर्पण।

ई नाम अछि वरिष्ठ महिला रंगकर्मी प्रेमलता मिश्र प्रेमक। मैथिली रंगमंच पर महिला रंगकर्मीक रूप मे हिनक पहिलुक उपस्थिति मैथिली रंगमंचक एकटा युगांतकारी अध्याय अछि।

अभिनयक संग-संग हिनक साहित्य साधना सेहो उल्लेखनीय अछि। कथा संग्रह 'एगो छलीह सिनेह', 'शेखर प्रसंग' आ संस्मरण 'वो दिन वो पल'। एकाधिक पत्र-पत्रिकाक कुशल सम्पादन आ अपन आवास पर मासिक 'सांध्य गोष्ठी'क सफल आयोजन।

मैथिलीक पहिल सिनेमा 'ममता गाबय गीत' सँ होइत राष्ट्रीय पुरस्कार प्राप्त सिनेमा 'मिथिला मखान' धरि मे हिनक अभिनयक विशिष्टता सहजहि अकानल जाए सकैत अछि।

आइ हुनक जन्मदिवस पर हुनका आत्मीय शुभकामना । दीर्घ आयु आ स्वस्थ्य शरीरक हेतु भगवत प्रार्थना।

26/09/2025

मैथिलीक अपन राग-तानक सुच्चा गायक, प्रयोगधर्मी संगीतकार, राष्ट्रीय प्रतिभा पुरस्करा सँ सम्मानित, मिथिला-मैथिलीक प्रति समर्पित व्यक्तित्व आदरणीय सुनील मल्लिक जी केँ हुनक जन्मदिवस पर आत्मीय शुभकामना।

18/09/2025

साहित्य, संगीत आ संचारक त्रिकोण बनबैत, एकर तीनू शीर्ष पर अपन सार्थक हस्तक्षेप रखैत, मिथिला-मैथिलीक प्रति सदिखन समर्पित रहैत, सांस्कृतिक चेतना केँ अंगेजने विदुषी रूपा झा जी केँ जन्मदिनक आत्मीय शुभकामना।

03/09/2025

जहिना नवताक आग्रही तहिना अपन पुरातन वैभव केँ सदिखन कन्हेठने मैथिलीक यशकीर्तिक चतुर्दिक श्रीवृद्धि हेतु सतत कर्मरत अपन गीतक सृजन सँ मिथिलाक लोक आ संस्कृतिक अप्रतिम आरेख बनबैत अपन प्रतिभा सँ एकटा प्रतिमान बनल व्यक्तित्व छथि धीरेन्द्र प्रेमर्षि।

मिथिला - मैथिलीक विविध आयामक एकटा मजगूत खाम्ह, सृजन आ संवादक पर्याय, सांस्कृतिक अजस्रताक डलिबाह, मैथिलीक गीत-संगीत मे एकाधिक नवीनताक सूत्रधार, गीत-गजलक समकालीन विशिष्टताक संवाहक आ वरेण्य साहित्यकार आदरणीय धीरेन्द्र प्रेमर्षि केँ जन्मदिनक आत्मीय मंगलकामना।

01/08/2025

•|• गुरुदेव कामत : पुण्यतिथि पर सादर स्मरण

गुरुदेव कामत। जेहने विरल प्रतिभा तेहने सहज व्यक्तित्व। मातृभाषाक प्रति अपनत्व आ समर्पणक एकटा एहन अप्रतिम प्रतिमूर्ति जिनका प्रति स्नेह आ श्रद्धा सँ सहजहि समस्त मिथिला नतमस्तक होइत अछि।

मैथिली गीत-संगीतक एकटा एहन विराट व्यक्तित्व जिनक उपस्थिति सँ मैथिली संगीतक निजता आ विशिष्टता परिभाषित होइत रहल अछि। अपन साधना आ स्वर सँ मैथिली गीत-संगीतक जे ओ प्रतिमान गढ़लनि अछि से आगत पीढ़ीक हेतु एकटा आदर्श अछि आ मार्गदर्शक सेहो। सुचिता आ निजताक एहन लोकग्राह्य समागम अन्यत्र भेटब दुर्लभ अछि।

गुरुदेव कामत केँ सुनब एहि गौरवबोध केँ आत्मसात करब अछि जे एहन प्रवीण आ माधुर्य सँ भरल स्वरक स्वामी हमर सभक अपन माटिक लोक छथि। अपन मातृभाषाक लोक छथि। लोक कंठ मे बसल मैथिली गीतक दिकपाल छथि। मैथिलीक अजस्रताक संवाहक मैथिल पूत छथि। मैथिलीक गुदरी आँचरक मणि-माणिक्य छथि।

कहियो जॉर्ज गियर्सन विद्यापतिक संदर्भ मे लिखने रहथि जे जहिया धरि कमला आ कोशि मे पानि रहत विद्यापतिक महेशवाणी एहि समाज मे जिबैत रहत से तहिना आइ ई कहब कोनो अतिशयोक्ति नहि होएत जे जहिया धरि मैथिलीक गीत-संगीत रहत तहिया धरि गुरुदेव कामत एकर अन्यतम ध्वजवाहक बनल रहताह।

ई दिप तँ मिझाएल अछि सिरहाक पोखरभिण्डा गाम मे मुदा आइ अन्हार सगर मिथिला अछि। एकटा एहन अन्हार जकर नैपथ्य मे ठाढ़ कोटि-कोटि मैथिलक आँखि नोराएल अछि आ कम्पित ठोर सँ निकसैत अछि गीत ! कहाँ गेलै सुरमा सलहेस ! एहि अन्हार सँ भोरक बाट देखबैत आब केँ उठाओत मिथिला केँ ? आब तेना क' केँ गाओत "उठू यौ मैथिल भेलै भोर" ...

18/07/2025

मैथिली विकास कोषक अध्यक्ष, मैथिलीक अजस्रताक हेतु समर्पित व्यक्तित्व, कला, साहित्य आ सांस्कृतिक चेतनाक सजग डलिबाह आदरणीय श्री जीवनाथ चौधरी जीक जन्मदिवस पर विमर्श परिवार दिस सँ आत्मीय शुभकामना।

Want your establishment to be the top-listed Arts & Entertainment in Kathmandu?
Click here to claim your Sponsored Listing.

Category

Address


Kathmandu
Kathmandu
00466